सासाराम में एगो महिला आओर चाइर गो बच्चा पर धारदार हथियार सs कैल गेल हमला !!! - मिथिला दैनिक

Breaking

Saturday, October 6, 2018

सासाराम में एगो महिला आओर चाइर गो बच्चा पर धारदार हथियार सs कैल गेल हमला !!!



 
सासाराम:सासाराम में एगो महिला व चाइर गो बच्चा पर तेज हथियार सs हमला कैल गेल अछि।सासारामक मिर्जापुर गांव में एगो युवक धारदार हथियार सs एगो महिला आओर हुनक चाइर टा बच्चा केँ काइट देलक, जाहिमें उक्त महिला आओर हुनक दुटा बच्चा केर मृत्यु ओतैए घटना स्थल पर भ गेल।  बाकी दुगो बच्चा गंभीर रुप स s घायल अछि, जिनका अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि।
बताओल जा रहल अछि कि मृतका महिला "दरोगा यादवक" पत्नी अछि। हुनके मृतक बच्ची जिनक उम्र तीन बरख आओर बेटा रवि यादव अछि। उक्त हादसाक जानकारी भेटते देरी  पुलिस घटना स्थल पर पहुँच ,  घायल बच्चा सबके सासारामक सदर अस्पताल में भर्ती करबेलैथ , जत हुनक सबहक हालात बहुत गंभीर बनल अछि।अखन फिलहाल हादसाक बाद सs हमलावर फरार भ गेल अछि। आओर पुलिस हमलावर केर गिरफ्तारी करबाक लेल छापामारी कs रहल अछि।
#हमला #महिला आओर नैना पर # सासाराम # मैथिली समाचार

रोड एक्सीडेंट में एम .एस. यू केर सेनानी केँ भेल मृत्यु,विरोध में कैल गेल हाइवे जाम।

मधूबनी:[प्रणव चौधरी]मिथिला स्टुंडेंट युनियनक एकटा सेनानी जिनक मृत्यु केँ खबैर सँ समस्त मिथिलावासी आओर एम.एस.यु दुखक शोक में डुइब गेल अछ...