राजद नेताक बेटा की हत्या ! - मिथिला दैनिक

Breaking

Sunday, October 21, 2018

राजद नेताक बेटा की हत्या !


 
भगवानपुर : अपराधी सभ बल्लीपुर में इंटर केर छात्र केँ गर्दन काईट कs  हत्या क देलक आर साक्ष्य केँ छुपेबाक दृष्टि सs हुनक शरीर पर तेजाब डाइलक शव केँ ऐगो झाड़ी में फेंक देलक। पुलिस हुनक लाश केँ शनिदिश भोर में बरामद केलक । मृतक 18 वर्षीय धर्मेंद्र कुमार इंटर केँ छात्र छल, जेँ राजद नेता अर्जुन राम केँ पुत्र छल। एही घटना केँ खिलाफ ग्रामीण सभ भगवानपुर-भभुआ पथ में बल्लीपुर केर नजदीक लहास केँ रोड पर राइख जाम कs देने छल। ओ हत्यारा केँ गिरफ्तारी केँ मांग क रहल छलैथ। मौका पर पहुंचल डी.एस.पी अजय कुमार, बी.डी.ओ मयंक कुमार सिंह, सी.ओ अरुण कुमार श्रीवास्तव हुनका समझाक सड़क सs हटबेलक। मृतक केर पिता बतेलैथ कि 16 अक्टूबर केँ हुनक घर पर दोगो लड़का आऐल छल। हुनक बेटी पिंकी  देखने छल कि वैह दुनु लड़का धर्मेंद्र केँ अप्पना संग लकs गेल छल। जखन धरमेंद्र देर राइत तक नञि आयल तs हुनक पिता हुनक तलाश शुरू कs देलक। हुनक दोस्त व रिश्तेदार सs धर्मेंद्र केर बारे में जानकारी लेल गेल। मुदा, कोनो पता नञि चलल। तखन ओ थाना में अप्पन बेटा केँ गायब होबाक सूचना 18 अक्टूबर केँ देलैथ। लेकिन, शनि दिनक भोर मे हुनक दरवाजा पर फेंकल एगो चिट्ठी भेटल। जखन ओहिके पढ़लैथ तँ ओहिमें धमकी देल गेल छल कि एही घटनाक बारे में किनको सूचना देला पर पूरा परिवार केँ सफ कs देल जाओत।
चिट्ठी पढ़लाक बाद धर्मेंद्र केँ तलाश तेज कs देल गेल छल। गांव सs पांच सौ गज पश्चिम में पुराना चिमनी भट्ठा केर पास झाड़ी में हुनक क्षत-विक्षत लाश पड़ल छल। हुनक सिर शरीर सs अलग छल आर शरीरक मांस गैल गेल छल। एहिके सूचना पुलिस केँ देल गेल। थानाध्यक्ष रविकांत पहुंचल आर लहास केँ पंचनामा तैयार केलक।
जाही जगह सs बल्लीपुर केर छात्र धर्मेंद्र केँ लाश केँ पुलिस बरामद केलक आई , ओहि जगहक हालात केँ देखला सs लाइग रहल अछि कि हुनक हत्या में चाइर गोटा शामिल छल। घटना केँ अंजाम देबैए सs पहिले अपराधी सभ शराब पीलक आर खाना सेहो खेलक । ई आशंका एहिके लेल व्यक्त कैल जा रहल अछि कियैक त पुलिस घटनास्थल सs चाइर गो थाली, प्लास्टिक केँ चाइर गो ग्लास, शराबक पाउच केँ बरामद केलके । हालांकि ओतैए सs लाल रंगक गमछा, 315 बोर केँ गोली केँ दुगो खोखा, प्लास्टिक केर थैला में सफेद रंगक पाउडर केँ सेहो जब्त केलक ।
#हत्या #राजद नेताक पुत्र # भगवानपुर #मैथिली समाचार

मुख्यमंत्री"नीतीश कुमार जीक " आगमन केँ लs कs आम जनता में भरल अछि उत्साह, दुल्हिन जेना सजाओल गेल अछि विशनपुर।

दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक विशनपुर गांव में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर आगमन केँ लs कs तैयारी सभ आब अंतिम चरण मे...