मिथिलाक लाल "मिहिर रंजन" उत्कृष्ट सेवाक लेल राष्ट्रिपति पुस्कार स सम्मानित - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 20 फ़रवरी 2018

मिथिलाक लाल "मिहिर रंजन" उत्कृष्ट सेवाक लेल राष्ट्रिपति पुस्कार स सम्मानित



दरभंगा [प्रणव कुमार चौधरी] : कुशेश्वरस्थान क' नारायण गांवक निवासी लनामिविवि के भूतपूर्व कुलसचिव स्व. भुवनेश्वर लाल दासक पुत्र अपर आयुक्त सीमा शुल्क, नई दिल्ली,  मिहिर रंजन के हुनक उत्कृष्ट सेवाक लेल राष्ट्रपति पुरस्कार स सम्मानित केएल गेल। 

मिहिर रंजन 1987 में सीमा शुल्क विभाग स' अपन यात्राक' शुरुवात केएला , 1998 में मिहीर रंजन के भारतीये राजस्व सेवा में पदोन्नति भेल। 

श्री रंजन तीन दशक में तस्करी निरोधी एवं सतर्कता विभाग स संबंधित काज के कुशलता स' केलैथ। अपन सेवा काल में सीमा शुल्क केंद्रीय अत्पाद शुल्क तथा सेवाकर में अपवंचन के 799. 06 करोड़ राशि के पता लगाबैय में सहायक रहला। सतर्कता अनुभाग में निर्भीकता पूर्वक एवं सटीक न्यायिक तरीका स संवेदनशील मामला के निष्पक्ष रूप स निपटारा करबाक संग - संग सतर्कता प्रशासन के सुधार में महत्वपूर्ण योगदान छैन।  

श्री मिहिर रंजन के इमानदारी, सक्षमता, ज्ञान, सत्य निष्ठा आओर अनूशासन के लेल राष्ट्रपति पुरस्कार देल गेल।