वाणेश्वरी भगवती स्थान केँ भेटत पर्यटन स्थलक दर्जा : अमरनाथ गामी - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 11 जनवरी 2018

वाणेश्वरी भगवती स्थान केँ भेटत पर्यटन स्थलक दर्जा : अमरनाथ गामी

दरभंगा। 11 जनवरी। हायाघाट विधायक सह ध्यानाकर्षण समिति केर अध्यक्ष अमरनाथ गामी कैल्हि बुध दिन मिथिलांचलक प्रसिद्ध सिद्धपीठ वाणेश्वरी भगवती मकरंदा भंडारीसम स्थान पहुंच मिडिया सँ बात करैत प्राचीन व धार्मिक स्थल केँ देखैत वाणेश्वरी स्थान केँ पर्यटन स्थलक रूप मे विकसित करब, प्रतिवर्ष आयोजित होमै बाला रामनवमी मेला केँ राजकीय मेला घोषित करब सहित सभ मांग क' जायज बतबैत अप्पन पूर्ण समर्थन व्यक्त केलनि। संगहि कहलनि कि एहि दिशामेँ एखन धरी कायल गेल प्रयास क' आगू बढ़ेबाक सार्थक पहल कायल जायत। अमरनाथ गामी आगा कहलनि कि वाणेश्वरी स्थान केँ विकसित केला सँ अगबे एहि इलाकाक विकास नहि बल्कि मिथिलांचलक धरोहर सेहो सुरक्षित होयत। 

एहि मौका पर विधायक अमरनाथ गामी केँ सामाजिक कार्यकर्ता संजीव कुमार झा पाग, चादर सहित माँ वाणेश्वरी भगवतीक फोटो भेंट करैत सम्मानित केलनि। एहि मौका पर जदयू शिक्षक प्रकोष्ठ केँ प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ. राममोहन झा, वाणेश्वरी न्यास समिति केर अध्यक्ष राघवेंद्र झा, प्रो राजकुमार सहनी, श्याम नारायण झा, योगेंद्र यादव, फूल कुमार झा, रमणजी झा सहित कैको गणमान्य उपस्थित छलथि।