दरभंगा : मुख्यमंत्री केँ प्रस्तावित 'समीक्षा यात्रा' लेल प्रशासनिक तैयारी शुरू - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 6 दिसंबर 2017

दरभंगा : मुख्यमंत्री केँ प्रस्तावित 'समीक्षा यात्रा' लेल प्रशासनिक तैयारी शुरू

दरभंगा। 06 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] प्रस्तावित समीक्षा यात्रा केर क्रम मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के भवानीपुर महादलित बस्ती के भ्रमण कार्यक्रम क' देखैत कैल्हि मंगल दिन खाद्य आपूर्ति मंत्री मदन सहनी, जिला पदाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह व एसएसपी सत्यवीर सिंह   महादलित बस्ती केर दौरा केलनि। एहि बस्ती मे भ' रहल निर्माण काजक अवलोकन करबाक दौरान डीएम डॉ. चंद्रशेखर सिंह संवेदक सभके फटकार लगौलनि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक मुख्यमंत्री भवानीपुर पंचायत के भवानीपुर वार्ड 12 एवं कमलपुर के वार्ड 9 केर महादलित बस्ती मे मुख्यमंत्री सात निश्चय कार्यक्रम केर तहत हर घर जल नल, पक्की गली , शौचालय व बिजली केर उद्घाटन करता। उद्घाटन केर पश्चात महादलित बस्ती लग मैदान वा जनता उच्च विद्यालय +2 शिवनगर घाट परिसर मे सभा क' सेहो  संबोधित करता। 

डीएम डॉ. चंद्रशेखर सिंह कहलनि कि मुख्यमंत्री केर आगमन ल'के हर विभागक वरीय अधिकारी सभक संगे संग प्रखंड स्तर के अधिकारी सभके  अलर्ट क' देल गेल अछि। सभके निर्देशित कायल गेल अछि कि स्थानीय स्तर पर जे भी समस्या अछि ओहिक लेल शिविर लगा निष्पादन कायल जाय। पेंशनधारी सभक समस्या क' दू दिनक भीतर निष्पादित करबाक लेल कहल गेल अछि। ऐहिक बाद डीएम व एसएसपी कमलपुर पहुंचला। ओता निरीक्षण केलाक बाद डीएम केर काफिला काली स्थान यज्ञ स्थल पहुँचल। ओता निरीक्षण केलाक बाद डीएम केर काफिला शिवनगर घाट परिसर लेल निकैल गेल।