आधार केँ बिना फेसबुक चलायब भ' सकैत अछि बंद, आधार क' फेसबुक अकाउंट संग लिंक करबाक भ' रहल अछि तैयारी - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 28 दिसंबर 2017

आधार केँ बिना फेसबुक चलायब भ' सकैत अछि बंद, आधार क' फेसबुक अकाउंट संग लिंक करबाक भ' रहल अछि तैयारी

नई दिल्ली। 28 दिसम्बर। आधार क' विभिन्न सरकारी सुविधा आओर पहचान पत्र सभसँ लिंक करबाक कानूनी लड़ाई जारी अछि आओर ऐहिकेँ निजताक अधिकार पर खतरा बताओल जे रहल अछि। एहि सभक बावजूद आधार सभसँ विश्वसनीय आइडी प्रूफ बनबाक लेल अग्रसर अछि।  मिडिया मे पसारल जे रहल खबैर केर मुताविक आब फेसबुक सेहो नवा अकाउंट बनेबा काल मे यूजर सँ आधार केर मांग क' सकैत अछि।

फेसबुक एक एहेन फीचर टेस्ट क' रहल अछि, जाहिमे नवा अकाउंट बनेबाक लेल अपने क' आधार कार्ड पर लिखल नाम बताबे पड़त। प्राप्त खबैर केर मुताविक फेसबुक टीम कहने अछि कि नवा अकाउंट खोलै बला लोग सभकेँ एहेन नोटिफिकेशन नहि देखकर देत। फेसबुक क' जाहि यूजर्स पर संका होयत ई नोटिफिकेशन सिर्फ हुनका देखार देत। ई प्रक्रिया पूरा तरहे वैकल्पिक होयत।