कटरा के थाना प्रभारी रतन कुमार यादव कहलनि कि पुलिस क' गुप्त सूचना भेटल छल कि धनौर गामक एक तालाब मे भारी मात्रा मे शराब केँ बोतल नुका केँ राखल गेल अछि। पुलिस कैल्हि रवि दिन देर सांझ तालाब मे ग्रामीण आओर गोरही सभक मदैद सँ पैनक भीतर सँ 1771 शराब केर बोतल जब्त केलनि।
थाना प्रभारी रतन कुमार यादव कहलनि कि एहि मामला मे कटरा थाना मे एक प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि, जाहिमे आठ लोग क' नामजद आरोपी बनाओल गेल अछि। आगा ओ कहलनि कि एहि मामला मे आरोपी सभक गिरफ़्तारी लेल छापामारी कायल जे रहल अछि। उल्लेखनीय अछि कि बिहार मे पछिला बरख अप्रैल माह सँ शराब पर पूरा तरहे प्रतिबंध लगाओल गेल अछि।