काली पूजा के भव्य आयोजन लेल ग्रामीण सभक बैसार संपन्न भेल - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 3 अक्तूबर 2017

काली पूजा के भव्य आयोजन लेल ग्रामीण सभक बैसार संपन्न भेल

मधुबनी। 03 अक्टूबर। [मिहिर कुमार झा "बेला"] मधुबनी जिलाक बाबूबरही के बेला गाम म' काली पूजा के तैयारी पूरा जोर शोर स' कायल जे रहल अछि। पछिला रवि दिन काली पूजा के भव्य आयोजन लेल पूजा समिति के अध्यक्ष श्री वासुदेव झा केर अध्यक्षता म' ग्रामीण सभक बैसार संपन्न भेल। बैसार म' निर्णय लेल गेल कि हर बरखक भांति एहियो बरख काली पूजा खूब धूम- धाम सँ मनाओल जायत। 

पूजा समिति के अध्यक्ष श्री वासुदेव झा केर अध्यक्षता म' आयोजित बैसार म' ई निर्णय लेल गेल कि एहिबेरक तीन दिवसीय काली पूजा के तीनो दिन 18 ,19,20  अक्टूबर क' भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन कायल जायत। आओर पूजा के मुख्य अतिथि बाबूबरही के विधायक आओर पंचायती राज्य मंत्री श्री कपिल देब कामत जी हेता।

काली पूजा समिति के बैसार म' समिति के अध्यक्ष वासुदेव झा, सचिव चंद्रशेखर झा, समिति के सदस्य विजय नाथ झा, जीवेन्द्र झा, विशम्बर झा, मनोज झा, हरेराम झा, ध्रुव कुमार झा आओर धैर्य कांत झा के संगे संग ग्रामीण शम्भू नाथ झा, राजेंद्र झा, उदय कान्त झा, गुलाब शंकर झा, हरिबल्लभ झा, कृष्णबल्लभ झा,गीता नन्द झा, बलराम  कुमार झा सहित दर्जनों ग्रामीण उपस्थित छला।