0

मधुबनी। 07 अक्टूबर। बिहार पुलिस कैदी सभक आवभगत लेल सदिखन चर्चा म' रहैत अछि। पुलिस द्वारा कैदी सभक आवभगत के छवि - वीडियो सदिखन वायरल होयत रहैत अछि, एहि बेर सेहो एहने एक छवि सामना आयल अछि। एहि बेरक छवि मधुबनी जिला स' आयल अछि, जाहिमे पुलिस कैदी सभके शॉपिंग करबैत देखार द' रहल अछि।

अपने क' बता दी मधुबनी म' जखन मंडल कारा स' कैदी सभके कोर्ट म' पेशी लेल आनल जे रहल छल ओहि दौरान सुरक्षा व्यवस्था म' लागल पुलिस जवान सभके किछु टाकाक चढ़ावा चढ़ा कैदी सभ अप्पन मनमाफिक खरीददारी केलनि, अप्पन परिवारक लोग सभक संग होटल म' चाय-नाश्ता, भोजन केलनि। 

एहि छवि म' साफ देखार द' रहल अछि कि पुलिस के जवान रेस्टोरेंट म' बैस कैदी सभक संग भोजन क' रहल छथि। भोजन के बाद पानक गुमटी पर कैदी सभके पान, सिगरेट कीना रहल छथि। जहिना पुलिस सभक नजैर कैमरा पर पड़ल ओ सभ ओता स' चुपचाप चल देला।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035