सिमुलतला विद्यालय प्रवेश परीक्षा मऽ सफल तनुप्रिया मिथिलांचलक यश बढ़ौलनि - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 9 अक्तूबर 2017

सिमुलतला विद्यालय प्रवेश परीक्षा मऽ सफल तनुप्रिया मिथिलांचलक यश बढ़ौलनि

सहरसा (बनगाँव)। 09 अक्टूबर। [पारस कुमार झा] सहरसा जिलाक बनगाँव निवासी स्वास्थ्य सेवा मऽ सतत प्रयासरत प्रेमम शंकर झा उपाख्य "छोटू"  एवं उच्च विद्यालय गंडौलक शिक्षिका श्रीमती गुंजन झा के दुलारी धिया "तनुप्रिया" सिमुलतला प्रवेश परीक्षा मऽ सफलता प्राप्त कय अप्पन गामक संगे संग समस्त मिथिलांचलक यशोवृद्धि कयलनि। 

ज्ञातव्य होमय जे एहि बरख बी.एच. यू. के वर्ग छः केर प्रवेश परीक्षा मऽ सामान्य बालिका वर्ग मऽ तनुप्रिया सम्पूर्ण देश मऽ प्रथम स्थान आओर जवाहर नवोदय प्रवेश परीक्षा मऽ सेहो द्वितीय स्थान प्राप्त कयने छलीह। 

तनुप्रिया कलक्टर बनवाक स्वप्न सजौने शैक्षणिक काज मऽ दिवा - रात्रि प्रयास कऽ रहल छथि। हुनकर एहि सफलता पर पूरा गाम मऽ प्रशन्नता व्याप्त अछि। विनय कुमार खाँ, विनोद खाँ, मिथिलेश खाँ, भाष्कर खाँ, फुलभद्र झा, रोहिणी झा, नारायण झा, विनोद प्रसाद झा, शंकर नारायण झा, पारस कुमार झा, महेश झा, शशिधर ठाकुर,  सन्नी आनन्द, विपिन प्रभाकर सहित बहुतो रास ग्रामीण एहि उपलब्धि लेल तनुप्रिया कऽ बधाई आओर शुभकामना व्यक्त कयलनि। 

एहि अवसर पर तनुप्रिया के दादाजी श्री केदार झा एवं नाना श्री विष्णु खाँ मधुर वितरण कयलनि। तनुप्रिया कऽ एहि उपलब्धिक लेल समस्त बनगाँव वासी आओर "मिथिला दैनिक" परिवार दिस सँ भरि ढ़ाकी बधाई आओर शुभकामना।