मधुबनी स्टेशन विश्व के सभसँ नमहर आओर मनमोहक 'मिथिला पेंटिंग' संग अपनेक स्वागत करैत अछि - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 16 अक्तूबर 2017

मधुबनी स्टेशन विश्व के सभसँ नमहर आओर मनमोहक 'मिथिला पेंटिंग' संग अपनेक स्वागत करैत अछि

मधुबनी। 16 अक्टूबर। दुनियाभरि म' मशहूर मिथिला पेंटिंग एक नवा कीर्तिमान दर्ज केना अछि। ऐतिहासिक मधुबनी रेलवे स्टेशन पर विश्व के सभसँ नमहर करीब 7000 वर्ग फीटक वॉल पेंटिंग तैयार कायल गेल अछि। ओनाकि ऐहिक बावजूद ई गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रेकॉर्ड म' शामिल नहि भ' सकल।

मधुबनी रेलवे स्टेशन पर कलाकार सभक समूह ई पेंटिंग 2 अक्टूबर क' बनायब शुरू केना छल जे कैल्हि 15 अक्टूबर रविदिन पूरा भ' गेल। प्राप्त खबैर केर मुताबिक ई पेंटिंग गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रेकॉर्ड म' शामिल करबाक लेल बनाओल गेल छल मुदा गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रेकॉर्ड म' शामिल नहि भ' सकल। मिथिला पेंटिंग के कलाकार सभ ऐहिक लेल रेलवे अधिकारी सभके जिम्मेवार बतौलनि अछि। कलाकार सभक कहब अछि कि रेलवे अधिकारी सभ आखिरी दिन धरी रजिस्ट्रेशन टारने रहला आओर समय स' रजिस्ट्रेशन नहि करेबाक कारण स' पेंटिंग रेकॉर्ड म' दर्ज नहि भ' सकल। 

ओनाकि आम जन क' पेंटिंग खूब पसंद आएब रहल अछि आओर कैको लोग अगबे पेंटिंग देखबाक लेल आएब रहल छथि। बताओल जे रहल अछि कि मधुबनी क' पहिचान आओर मजबूत बनेबाक लेल एनजीओ क्राफ्टवाला द्वारा एहि वाल पेटिंग के लेल पहल कायल गेल छल। ऐहिके बनेनिहार कलाकार सभ सेहो एको टाका मजदूरी नहि लेलनि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक कलाकार सभक संग रेलवे अधिकारी सभ सेहो एहि म' खूब योगदान केलनि। फिलहाल गिनीज़ बुक ऑफ वर्ल्ड रेकॉर्ड म' दर्ज सभसँ नमहर पेंटिंग 4566 स्क्वायर फीट अछि।