0

मुंबई। 30 अगस्त। [जितमोहन झा (जितू)] देशक आर्थिक राजधानी मुंबई म' कैल्हि मंगलदिन भेल मूसलाधार बारिश सँ पूरा शहर पैन - पैन भ' गेल। कैल्हि भोरे शुरू भेल मूसलाधार बारिश रातिक 9 बजे धरी लगातार चलैत रहल। सभ इलाका म' बारिशक पैन भड़ला सँ हालात बहुत गंभीर भ' गेल। फिलहाल एखन स्थिति म' किछु सुधार अछि आओर ऐहिक चलते वेस्टर्न लाइन पर लोकल ट्रेन सर्विस शुरू भ' गेल अछि। ऐहिक अलावा सेंट्रल रेलवे सेहो कुर्ला सँ डोंबिवली केर बीच रेल सेवा शुरू क' देना अछि। ओनाकि हार्बर लाइन पर एखनो पैन भरल अछि। सरकार द्वारा स्कूल - कॉलेज सभके बंद रखबाक आदेश जारी काएल गेल अछि। एहि बीच आए बुधदिन सेहो भारी बारिश होयबाक अनुमान लगाओल जे रहल अछि। 

कैल्हि मंगलदिन भोर 9 बजे सँ रातिक 9 बजे धरी मूसलाधार बारिश भेल। मौसम विभाग केर अनुसार सांताक्रूज म' 315 मिमी, कोलाबा म' 101.8 मिमी बारिश भेल। मौसम विभाग केर मुताबिक शहर म' औसतन करीब 180 मिमी बारिश दर्ज काएल गेल। पश्चिमी उपनगरीय इलाका म' 182.43 मिमी आओर पूर्वी उपनगरीय इलाका म' 197.37 मिलीमीटर बारिश भेल।


मौसम विभाग आशंका जतौलनि कि मुंबई, कोंकण, दक्षिण गुजरात, गोवा आओर पश्चिमी विदर्भ म' अगिला 24 सँ 48 घंटा म' एक बेर फेर सँ मूसलाधार बारिश भ' सकैत अछि। पुणे स्थित मौसम विभाग के क्लाइमेट मॉनिटरिंग आओर एनालसिस केर हेड ए.के. श्रीवास्तव कहलनि कि ई विकट स्थिति अछि। हमसभ संबंधित विभाग सभके जरूरी चेतावनी जारी क' देना छी। 


अपने क' बता दी यदि अपनेक शहर म' सीजन केँ कुल बारिशक 10 फीसदी एकहि दिन म' भ' जाए तेँ सैलाब आएब सुनिश्चित अछि। मुंबई म' सेहो इए भेल अछि। एखन धरी मुंबई म' सीजन केँ तकरीबन 85 पर्सेंट बारिश भ' चुकल अछि।


कैल्हि मंगलदिन भेल बारिश केर चलते मुंबई म' जाहि तरहक स्थिति उत्पन्न भेल, एहिसँ लोग सभके एक बेर फेर सँ 26 जुलाई, 2005 के दिन मोन पैर गेल छल। ओ एहेन दिन छल, जखन करीब 100 लोग सभके भारी बारिश केर चलते जान गवाबे पड़ल छल आओर हजारो लोग बारिश केर चलते 5 दिन धरी घर नहि पहुंच छल। कैल्हि मंगल दिनक मूसलाधार  बारिश सेहो हवाई, रेल आओर सड़क यात्रा क' बाधित केलक।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035