सुच्चा मैथिल संस्थाक सामूहिक बैसार सम्पन्न सशक्तिकरण पर देल गेल जोर। - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 10 जुलाई 2017

सुच्चा मैथिल संस्थाक सामूहिक बैसार सम्पन्न सशक्तिकरण पर देल गेल जोर।

मुंबई। 10 जुलाई। कैल्हि रविदिन मुम्बईक उपनगरीय क्षेत्र नालासोपाराक प्रगती नगर में सुच्चा मैथिल सामाजिक संस्था (पंजी.) महाराष्ट्र इकाई आ राष्ट्रीय इकाईक संयुक्त बैसार नव नियुक्त महाराष्ट्र प्रदेश कार्यकारी अध्यक्ष सुधीर ठाकुर जीक अध्यक्षता मे सफलता पूर्वक सम्पन्न भेल। 

बैसारक अध्यक्ष श्री सुधीर ठाकुर जी  एकक बाद एक सब सदस्य के अपन परिचय पाती देबयक लेल आमंत्रित केला आ इयैह क्रम में किछु वरिष्ठ सदस्य संस्था हित में अपन संदेश देलनि जे भारी संख्या में दूर दूर सँ पहुँचल नव सदस्यक लेल महत्व पूर्ण छल। जाहि में मदन शर्मा, परमानंद शर्मा, सुशील मंडल, मिथिलेश शर्मा अशोक साहू, अजय साहू, अरुण ठाकुर आदि अपन वक्तव्य सँ सब सदस्य लोकनि के समाज सेवा में अपन भागीदारी कोना आ कियैक दी ..? ताही सँ अवगत करेलनि। तदोपरांत अध्यक्ष महोदय श्री सुधीर जी एक एक मुद्दा पर विचार करेलाह जेनाकी कार्यकारिणीक सदस्याता शुल्क, कार्यकारिणी सदस्यक अलावें स्वेक्षा सँ एहि सूची में शामिल होबय बला सदस्य, अबय बला विश्वकर्मा पूजा, दफतरक काम काज, किछु पुरान आ योग्यवान सदस्य पर काजक जिम्मेदारी देनाई आदि। काल्हियों पैछला बैसार नाहीत इयोह बैसार में बहुतों जिम्मेदार सदस्य (महाराष्ट्र अध्यक्ष रामबाबू ठाकुर सहित) उपस्थित नहि भेलाह।

बैसार में राष्ट्रीय टीम सँ रामनरेश शर्मा जी (अध्यक्ष), मदन शर्मा जी (सचिव), मिथिलेश शर्मा (कार्यकारिणी सदस्य) आ महाराष्ट्र टीम सँ परमानंद शर्मा जी (उपाध्यक्ष), सुशील मंडल (महासचिव), दिगम्बर शर्मा (कोषाध्यक्ष), अशोक साहू (सचिव), अमोल चौधरी (मीडिया प्रभारी), सुधीर ठाकुर (कार्यकारी अध्यक्ष), कार्यकारिणी सदस्य-लालबाबू यादव, गणेश मंडल जी, मनोज यादव, लालबाबू शर्मा आ मुकेश चौधरी, अशोक ठाकुर , अरुण ठाकुर (गायक), अनिल ठाकुर वीरेंद्र शर्मा, राकेश मंडल, चंद्रदेव ठाकुर, लक्ष्मेश्वर साहू, संजय मंडल, नारायण शर्मा, रौशन मंडल, मनोज ठाकुर, सूरज मंडल, काशीनाथ ठाकुर, अशोक पासवान, अपन बहुमूल्य समय द बैसार के सफल बनेलाह।