0

छत्तीसगढ़। 11 मार्च। छत्तीसगढ़ के नक्सल प्रभावित सुकमा जिला मे नक्सली हमला मे सीआरपीएफ केर 219वीं बटालियन के 11 जवान शहीद भ' गेला। बताओल जे रहल अछि कि घटना सुकमा के भेज्जी लग घटल, एहिठाम सड़क निर्माण केर सुरक्षा मे लागल जवान सभके निशाना बनबैत नक्सली पहिने आईईडी ब्लास्ट कएलनि, ओहिक बाद एंबुश लगा अंधाधुंध फायरिंग शुरू क' देलनि। एहि हमला मे 9 जवान के मौत मौके पर भ' गेलैन्ह, ओतहि 2 जवान इलाज केर दौरान दम तोरी देलैन्ह। बताओल जे रहल अछि कि हमला के बाद नक्सली सभ जवान सभक हथियार, रेडियो सेट आओर आन सामान लूईट लेलन्हि अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि घटना पर शोक व्यक्त करैत शहीद जवान सभक प्रति श्रद्धांजलि व्यक्त कएलन्हि अछि।  

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ घटनास्थल पर फोर्स भेज देल गेल अछि आओर ओता से शहीद जवान सभक शव के बाहर निकालबाक कोसिस कायल जे रहल अछि।  ओतहि छत्तीगढ़ के मुख्यमंत्री रमन सिंह मीडिया से एहि हमला के लेल बातचीत के दौरान कहलनि कि बस्तर आईजी एसआरपी कल्लूरी आओर हुनक दुई खास आईपीएस अधिकारि सभके हाटेबा के एहि हमला से कुनु संबंध नहि अछि। आगा ओ कहलनि कि ई  सीआरपीएफ केर मूवमेंट छल आओर घटना अचानक भेल। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035