0

मधुबनी। 03 मार्च। बेनीपट्टी प्रखण्ड के धकजरी गाम लग कचरी चौक पुल केर सम्बंध मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के कार्यकर्त्ता आशीष कुमार झा लोक शिकायत निवारण कार्यालय मे शिकायत दर्ज करौलन्हि अछि। जाहि पर 21 मार्च दिन सुनवाई होयत। 

MSU द्वारा दर्ज कराओल गेल शिकायत मे कहल गेल अछि कि बेनीपट्टी प्रखण्ड के धकजरी गाम लग कचरी चौक पुल जेकि 1987 के बाढ़िमे बही गेल छल। लगभग 29 बरख बितलाक बादो ओहि पुलक निर्माण एखन धरी नहि भेल अछि। जाहि कारण से हजारो लोग एहि सँ प्रभावित भ' रहल अछि। 

पिछला बरखक सितम्बर माहमे अखबार सभमे खबैर छपल छल कि उक्त कचहरी चौक पुलाक लेल 2.5 कड़ोद टाटाक राशि के स्वीकृति भेटल संगहि  टेंडर केर प्रक्रिया चैल रहल अछि। मुदा, पिछला माह 19 फरवरी के मिडिया श्रोत से जानकारी भेटल कि उक्त पल लेल एखन धरी कुनु तरहक स्वीकृति नहि भेटल अछि। 

कार्यपालक अभियंता रामदयाल पासवान कहला कि स्वीकृति नहि भेटल अछि, मुदा विभाग के जानकारी भेजल गेल अछि। फेर कैल्ह 2 मार्च के अखबार मे छपल कि उक्त पुला लेल 2 कड़ोर टाकाक स्वीकृति भेटल अछि, जाहिक पृष्टि स्थानीय विधायक भावना झा कएलिन्ह अछि। जाहिसे आमजन असमंजस मे अछि। आमजन केर कहब छैन्ह कि जखन पुलक स्वीकृति नहि भेटबाक बात कार्यपालक अभियंता रामदयाल पासवान कहलनि अछि। ऐहिक बावजूद स्थानीय विधायक द्वारा पुक के स्वीकृतिक खबैर अखबार मे छपल अछि। 

अखबार मे उक्त पुलक लेल एक बेर 2.5 कड़ोर तेँ एक बेर 2 कड़ोर टाका स्वीकृति बताओल गेल अछि, जहिसे अनिश्चितता आलम बनल अछि। एहीसे आमजन के ई प्रतीत भ' रहल छैन्ह कि स्थानीय विधायक भावना झा समस्या केर निदान कम अखबार बाजी बेसी क' रहल अछि। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035