लोक शिकायत पदाधिकारी के आदेशक बाबजूद नहि भ' रहल अछि अधूरा पुलक निर्माण - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 3 मार्च 2017

लोक शिकायत पदाधिकारी के आदेशक बाबजूद नहि भ' रहल अछि अधूरा पुलक निर्माण

मधुबनी। 03 मार्च। बेनीपट्टी प्रखण्ड के नागदाह गाममे लोक शिकायत पदाधिकारी के आदेशक बाबजूद नहि भ' रहल अछि अधूरा पुलक निर्माण। एहि गाममे मुख्यमंत्री सेतु योजनाक तहत एक पुलक निर्माण बरख 2006 मे शुरू भेल छल।  

तात्कालिक ठीकेदार द्वारा पल निर्माण मे अनियमितता केर कारण सँ पुलक निर्माण काज आधा - अधूरा रहिगेल छल। निर्माण काज बंद भेलाक 10 बरखक बादो आय धरी उक्त पुलक निर्णाम काज शुरू नहीं भेल अछि। जाहि कारण सँ हजारो लोग के मुसीवत के सामना करे पड़ैत छैन्ह। 

ग्रामीण लोकैन कहलनि कि अधिकारित तौर पर पदाधिकारी द्वारा आदेश जारी कायल गेल छल कि उक्त पलक निर्माण काज नवम्बर 2016 से शुरू कायल जायत। जे एखन धरी शुरू नहि भेल अछि।