महागठबंधन मे 'बगावत', RJD केर खिलाफ कांग्रेस उतारलैन्ह उम्मीदवार - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 18 फ़रवरी 2017

महागठबंधन मे 'बगावत', RJD केर खिलाफ कांग्रेस उतारलैन्ह उम्मीदवार

पटना। 18 फरवरी। बिहार मे होमै बला विधान परिषद चुनावक लेल  महागठबंधन मे दरार आइब गेल अछि । 2 - 2 सीट पर जदयू आओर राजद द्वारा प्रत्याशि सभक सूची जारी करबाक बाद कांग्रेस पार्टी सेहो अप्पन 2 प्रत्याशि केर सूची जारी कएलन्हि अछि। कांग्रेस पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष अशोक चौधरी सदाकत आश्रम मे घोषणा करैत कहला कि गया शिक्षक निर्वाचन आओर स्नातक सीट लेल 2 उम्मीदवार के ठाढ़ कायल जायत। 

महागठबंधन के भीतर कांग्रेस बगावत शुरू क' देलन्हि अछि। 4 सीट पर विधानपरिषद चुनाव लेल महागठबंधन मे खींचातानी पहिने से चलैत छल। सभसे पहिने जदयू अप्पन 2 प्रत्याशी केर नाम घोषित केलैन्ह जाहिक बाद राजद सेहो 2 प्रत्याशि के नाम घोषित केलैन्ह। 

महागठबंधन केर उपेक्षा सँ नाराज कांग्रेस पार्टी आखिरकार विद्रोहक झंडा उठा लेलैन्ह आओर गया शिक्षक निर्वाचन आ स्नातक सीट लेल अप्पन 2 प्रत्याशि क' मैदान मे उतारबाक फैसला केलैन्ह।

अपने के बता दी कि गया शिक्षक निर्वाचन आओर स्नातक सीट लेल राजद अप्पन प्रत्याशी ठाढ़ केना अछि आओर राजद के खिलाफ कांग्रेस अप्पन 2 उम्मीदवार उतैर देलन्हि अछि।