खधाइर मे डुबला से 2 बरखक बच्चिया केर मौत - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 8 फ़रवरी 2017

खधाइर मे डुबला से 2 बरखक बच्चिया केर मौत

दरभंगा। 08 फरवरी। दरभंगा जिलाक अलीनगर प्रखण्ड अंतर्गत पकड़ी गाम मे कैल्ह एक बच्चिया केर मौत खधाइर मे डुबला से भ' गेलैन्ह। एहि सन्दर्भ मे बताओल जे रहल अछि कि मृतक बच्चिया केर नाम शिवानी छलैन्ह जिनकर उम्र 2 बरख बताओल जे रहल अछि। ओ अप्पन नानी गाम पकड़ी गाम निवासी परमेश्वर यादव लग रहैत छली। बच्चिया  शिवानी केर मौत आँगन के पाछु मे चापाकल केर बगल मे खोदल खधाइर मे गिरला से भेलैन्ह।