0

सुपौल। 05 जनवरी। समस्तीपुर मे पत्रकार केर निर्मम हत्या लेल सुपौल मे इंडियन जर्नलिस्ट एसोसिएशन शोकसभा केर आयोजन केलन्हि। प्रदेश सचिव अरुण कुमार झा केर नेतृत्व मे सभ पत्रकार करिया बिल्ला लगा सभा मे पहुंचला आर कहला कि मीडिया जगत, अभिव्यक्ति केर आजादी आर लोकतंत्र केर ई हत्या अछि। 

पत्रकारिता के दुनिया लेल इ काला दिन अछि। वक्ता सभ इयो कहलनि कि आखिर एहि हत्या सभक लेल हम सब कहिया धरी मात्र निंदा आर  श्रद्धांजलि दैत रहब ? ई सिलसिला आखिर कहिया थमहत। एहि से पहिने सभ कियो दुइ मिनट केर शोक राखी दिवंगत आत्मा केर शांति लेल प्रार्थना केलन्हि। एहि मौका पर भरत झा, अमिताभ ओझा, डॉ दयानंद भारती, प्रवीण गोविन्द, प्रियरंजन सिंह, पीयूष कुमार, अली इमाम, संजय सिंह, नवीन कुमार, मनीष आनंद, केशव कुमार, शिवानंद पाठक, अशोक यादव, राजा गौतम, ईद मोहम्मद सहित दर्जनों पत्रकार मौजूद छलाह। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035