डीएमसीएच मे बच्चा केर इलाज करबे आयल महिला संग दुष्कर्म केर आरोपी गिरफ्तार - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 12 जनवरी 2017

डीएमसीएच मे बच्चा केर इलाज करबे आयल महिला संग दुष्कर्म केर आरोपी गिरफ्तार

दरभंगा। 12 जनवरी। डीएमसीएच मे अप्पन बच्चा केर इलाज करबे आयल महिला के संग दुष्कर्म करनिहार आरोपी क' पुलिस गिरफ्तार केलन्हि अछि। आरोपी अवैध रूप से अस्पताल मे ड्रेसर के काज करैत छल। पीड़ित महिला के बयान पर मामला दर्ज दर्ज कायल गेल अछि। 

अपने के बता दी दरभंगा स्थित डीएमसीएच के आर्थो वार्ड मे विगत शनिवार देर सांझ समस्तीपुर थाना क्षेत्र के एक गामक रहिवासी 25 वर्षीय महिला के संग वार्ड के बगल बला कमरा मे दवा आर आन मदैद देबाक बहाना दुष्कर्म कायल गेल छल।