0

समस्तीपुर। 16 दिसम्बर। प्रखंड के ढरहा गाम स्थित प्राथमिक कन्या मध्य विद्यालय म' अधिकांश शिक्षक गायब रहैत छैथ।  जाहिसँ छात्रा सभक पढ़ाई बहुत बाधित होयत छैन्ह। एहि कारण छात्रा सभक बीच आक्रोश देखल गेल। 

छात्र सभक शिकायत पर आय शक्रवार क' जखन किछ अभिभावक स्कूल पहुंचला तेँ समय पर नहिये स्कूल खुजल भेटल आर नहिये कुनु शिक्षक देखार देलन्हि।  अभिभावक सभ एहिबात क' गंभीरता सँ लैत एहि सम्बन्ध म' संयुक्त आवेदन शि़क्षा विभाग के पदाधिकारि सभ क अलग-अलग द'  कार्रवाई केर मांग केलन्हि अछि। आवेदन म' इयो बातक जिक्र अछि कि स्कूल म' कहियो मध्याहन भोजन मेनू केर मुताबिक नहि देल जायत अछि। 

एतबे नहि भवन केर सेहो स्थिति काफी जर्जर बतबैत  आवेदन म' कहल गेल अछि कि स्कूल के विकास कोष म' 2 लाख 68 हजार केर राशि उपलब्ध होयबाक बावजूद स्कुल केर रख - रखावक स्थिति बहुत जर्जर अछि। आवेदन देबै बला में लगभग दुइ दर्जन अभिभावक सभक हस्ताक्षर अछि। जाहिमे मुख्य रुपे कमलेश राय, गौतम राय, राजेश रजक, रोहित राय, टिप्पण पंडित, गंगो पासवान, सुशिल राय, मंजेश राय, अशोक राय आदि शाामिल छैथ। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035