पेंसनर के लेल दरभंगा एसबीआई में विशेष व्यवस्था - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 2 दिसंबर 2016

पेंसनर के लेल दरभंगा एसबीआई में विशेष व्यवस्था


दरभंगा  : पेंशनर के भुगतान के लेल बैंक शाखा पुख्ता इंतजाम करि के रखने छल। एसबीआइ कs शाखा पेंशनरों के लेल सुबह नौ बजे खुजल। आन बैंकक' शाखा तय समय 10 बजे खुजल , लेकिन भीड़ के जै आशा छल, ओ धैल के धैल रही गेल। सामान्य दिन के तरह बैंक शाखा में भीड़ देखल गेल। एसबीआइ के दरभंगा शाखा, दरभंगा सिटी, डीएमसी आर सीबीआइ के विवि शाखा पर भीड़ देखल गेल।  

एसबीआइ के शाखा सामान्य दिन के तरह तय समय पर खुजल।  इक्का - दुक्का पेंशनर तय समय पर पहुँचल छलाह। पेंशनर आसानी सs काउंटर पर ठाड़ भ झटपट अपन राशि उठेला।  
एसबीआइ दरभंगा सिटी शाखा में पेंशन लेबा आएल एस चौधरी कहला कि मलाल अछि कि पेंशन के 24 हजार सs अधिक रुपया नै निकैल साकानौ। ओ कहला कि पोता के फीस लेल 35 हजार रुपया चाहि। सिर्फ 24 हजार रुपया निकैल सकैत छी। शेष पैसा कौना होयत इ पैग समस्या अछि। हुन्कर पोता नोएडा के इंजीनियरिंग कॉलेज में पढ़ैत अछि . जिनकर पेंशन 24 हजार से कम छल, ओ खूब खुश छलाह।  

चाइर शाखा पर छल व्यवस्था 
एसबीआइ के चाइर शाखा पर पेंशनर के भुगतान के लेल विशेष व्यवस्था छल। एही में दरभंगा शाखा, दरभंगा सिटी, बेनीपुर और कमतौल शाखा शामिल अछि 
एसबीआइ के आरएम अरूण पांडेय कहला कि आरबीआइ के गाइड लाइन के आधार पर 24 हजार रुपया निकैल सकैत छी, पेंशनरों आर कर्मचारी के भुगतान के लेल पुख्ता इंतजाम अछि।