0

कटिहार। 02 दिसम्बर। प्रखंड क्षेत्र केँ बैरिया पंचायत स्थित दस हजार सँ बेसी आबादी बला गाम सिकटिया बैरिया म' आजादी के बाद पहिल बेर  बिजली आपूर्ति बहाल होयब सँ लोगक खुशी चरम पर अछि। घर सभ म' बल्ब जैड़ते लोग सभ झूमि उठला। ग्रामीण मो. आसिफ, मो. मेराज, मो. रजिबुल हक, मो. सलमान, महताब आदि कहला कि आजादी केँ बाद पहली बेर गांव रोशन भेल अछि। जाहिक लेल ग्रामीण सभ बैरिया पंचायत केँ मुखिया मो. नुमान आलम क' साधुवाद देलन्हि। एहि मौका पर संवेदक के सहयोगी मो. रफीक, इर्गो कंपनी केँ जीएम मुदित मिश्र एवं इंजीनियर मंटू राय, मिलिंद, रतन दीपांकर व सुपरवाइजर राजेश कुमार सेहो मौजूद छला। 

ग्रामीण सभ कहलनि कि मुखिया नुमान एहि समस्याक लेल लगातार प्रयासरत छला। कार्यपालक अभियंता अरविन्द कुमार सहायक अभियंता ज्ञान प्रकाश, यशवंत कुमार, कनीय अभियंता नीतीश कुमार, अविनाश कुमार आदि केर सहयोग सँ दस दिनक भीतर गाम म'विद्युतीकरण केँ काज पूरा कायल गेल। ऐहिक लेल ग्रामीण सभ बिजली विभाग के अधिकारि सभ क' सेहो धन्यवाद देलन्हि। एहि अवसर पर सरपंच जाफर आलम, वार्ड सदस्य मो. नहीर आलम, मो. रजियाउल, हबीबुररहमान, मामुन रसीद, महबूब आलम, इस्माइल चौधरी, समसुद्दीन चौधरी सहित सैकड़ों ग्रामीण उपस्थित छला। 

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035