बैखौफ अपराधि दिनदहाड़े दवा व्यवसायी क' गोली मारलन्हि - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 7 दिसंबर 2016

बैखौफ अपराधि दिनदहाड़े दवा व्यवसायी क' गोली मारलन्हि

बेगूसराय। 07 दिसम्बर। रंगदारी नहि देला पर बैखौफ अपराधि दिनदहाड़े दवा दोकान पर हमला करि दवा व्यवसायी केर गोली माइर हत्या क' देलन्हि। घटना वीरपुर थाना क्षेत्र के जगदर बाजारक अछि। बताओल जे रहल अछि कि बाइक पर सवार पांच अपराधि पुष्कर मेडिको दवा दुकान म' घुईस दोकान मालिक इनोद महतो क' लगातार छह गोली मारलन्हि जाहि सँ हुनकर मौत भ' गेलन्हि।