आगामी 17 - 18 दिसंबर दिन मुलुंड (मुम्बई) म' सत राम कथा केर आयोजन - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 25 नवंबर 2016

आगामी 17 - 18 दिसंबर दिन मुलुंड (मुम्बई) म' सत राम कथा केर आयोजन

मुम्बई। 25 नवम्बर। आगामी 17 - 18 दिसंबर दिन बाबाजी कुटी - उदासीन मठ मुलुंड पश्चिम (मुम्बई) म' श्री श्री 108 मौनी बाबा केर  सान्निध्य म' सत राम कथा केर आयोजन होमै जे रहल अछि। कथा वाचक श्री श्रवण दास जी महाराज पचाढी स्थान मिथिला सँ छैथ।

एहि कथा केर आयोजन द्वारा श्री श्री 108 मौनी बाबा द्वारा संचालित अनाथालय, वैदिक विद्यालय एवं गौशाला क' सहयोग प्रदान करब अछि। श्री श्री 108 मौनी बाबा द्वारा संचालित अनाथालय आर वैदिक विद्यालय म' विद्यार्थी सभ निःशुल्क शिक्षा, वस्त्र, भोजन आर आवास सँ लाभान्वित होयत छैथ। संगहि गाय केर सेवा सेहो कायल जायत अछि।

एहि आयोजन केँ संयोजक : श्री चक्रधर झा, सह संयोजक : निरज मिश्र आर प्रदीप चौधरी ऐहि आयोजनक जानकारी दैत मुम्बई रहनिहार समस्त सत राम कथा प्रेमी सँ अनुरोध केलन्हि अछि कि कथा म' सम्मिलित भ' पुण्या केर लाभ उठाबी।