परेशान नहि होउ, शनिवार – रविवार सेहो खुजल रहत बैंक - मिथिला दैनिक

Breaking

गुरुवार, 10 नवंबर 2016

परेशान नहि होउ, शनिवार – रविवार सेहो खुजल रहत बैंक

सहरसा। 10 नवम्बर। केंद्र सरकार दिस स' अमान्य घोषित कायल गेल 500 आर 1000 टक्का के नोट बदलबाक लेल रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया कमर कैस लेना अछि। ऐहिक लेल रिजर्व बैंक द्वारा खास व्यवस्था कायल गेल अछि। कैल्ह बुधवार दिन आरबीआई ट्वीटर के माध्यम सँ बयान जारी करि कहलनि कि जनता के लेल सभ बैंक शनिवार, 12 नवंबर आर  रविवार, 13 नवंबर क' सेहो खुजल रहत।

गौरतलब अछि कि प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो देश के नाम अप्पन संबोधन म' सभ बैंक सँ नव बदलाव म' सहयोग करबाक अपील केना छल। अपने क' बता दी की इ व्यवस्था  केवल एहिशनिवार आर रविवार लेल कायल गेल अछि। रिजर्व बैंक के चीफ जनरल मैनेजर राजिंदर कुमार दिस से जारी बयान म' कहल गेल अछि कि आम लोग सभक बैंकिंग लेनदेन केर जरूरत क' देखैत   शनिवार आर रविवार क' सेहो बैंक खुजल रहत।