पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केँ नाती शराबक संग गिरफ्तार - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 15 अक्तूबर 2016

पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केँ नाती शराबक संग गिरफ्तार

गया। 15 अक्टूबर। बिहार केँ पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केर नाती (बेटी केर पुत्र) विक्की कुमार आर हुनकर एक संगी क' गया पुलिस शराब पीबाक आर रखबाक आरोप म' कैल्ह सांझ गिरफ्तार केलन्हि।

पुलिस के अनुसार, गुप्त सूचना केर आधार पर पुलिस विक्की क' डोभी के कोथवारा क्षेत्र सँ ओय समय गिरफ्तार केलन्हि, जखन ओ झारखंड दिस से अप्पन एक संगी संग अप्पन वाहन सँ गया दिस आबैत छलाह। गया पुलिस अधीक्षक (नगर) अवकाश कुमार कहला कि पुलिस हुनका वाहन स' शराब केर 12 बोतल बरामद केना अछि।

पुलिस गिरफ्तार दुनु गोटा सँ पूछताछ क' रहल अछि। एहि बिच पूर्व मुख्यमंत्री आर हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा केँ प्रमुख मांझी एहि विषय पर कहला कि कानून अप्पन काज करत। मांझी शराबबंदी क' विफल बताबैत रहल छैथ। बिहार म' इसी बरख अप्रैल सँ शराब पर पूर्ण प्रतिबंध लगाओल गेल अछि।