0
~ कि यउ लाल बाबू मोटरी बड्ड छोट अछि ? अहाँ'क मोटरी बेस नम्महर होइत छल ने ?
~ होइत छल ने ! लोक आगू बढ़ैत य आ अहाँ पाछू तकैत छी ? ओना ओ समय आब चलि गेलय ! हयउ कि कहि जाँउ -२ जनसंख्या बढ़ल जाइत छैइक ताँउ -२ मोटरी छोट - - - - -

~ से किआ यउ लोक आब मखान नीक स नहि परसैत अछि कि ?
~ हयउ मखान त जाय - बेजाय सब ठीके ठाक ओकादिक हिसाब संऽ बटैंत अछि परंच - - - - !

~ परंच कि ? कने फरिछा के कहल ने जाउ !
~ कोना बाजी यउ ? बजितहुं लाजे होइत अछि !

~ एहि मे लाज बला कोन गप्प ?
~ देखय नहि छियै ? नजरि फिरा के देखियो आब एहि गांउ मे छौंड़ा सब केऽ वियाहो भऽ रहल छय ? एकटा घटक तक घूड़ि के नहि अबैत छैइक ! तखन तऽ इहो एकटा आधटा कोनो तरहे - - -

~ अच्छऽ एहन बात भ गेलय गांउओ - घर मे ?
~ से अहाँ देखय छियै छौंड़ा सब कोना ढ़ेंगड़ियाल फिरै छय !
पहिने तऽ पैघ -२ बोगली सियेने छल ( दहेजक लेल ) ! मुदा आब  आदर्शो पर आफद छैइक !

~ हंऽ ठीके कहलिए जे नहि करय इ दहेजक लोभ !
~ ओहि सबहक कारण संऽ ने कन्या'क घोर अभाव भ गेलय ! जखन कन्या नहि रहतैक तखन वियाह ककरा संग हेतय ? पुरुखक - पुरखे संगे कि ?

~ सेहो बात सहिए कहैत छी ! जखन वियाहे नहि हेतय तऽ कोजगरा कोना हेतय ?
 आ बिनु कोजगरे मखान कतय संऽ पेवय ?
~ याहऽ देखियो आब ने बुझलिए हमर गप्प !

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035