0
मणिकांत झा, मधुबनी ४  अगस्त:- प्रख्यात शिक्षाविद आ अवकाश प्राप्त प्रधानाध्यापक कृष्णकांत झाक निधन बुध दिन हुनक पैतृक गावँ मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंडक मनपौर गावँ मे भ' गेलैंन्ह । ओ ८४ वर्ष के छलाह आ अपना पाछू चारि टा बेटा आ दू बेटी सहित पोता- पोती,नाइत- नातिन सँ भरल पुरल परिवार छोरि गेलाह अछि । हुनक अंतिम संस्कार काल्हि मनपौर गावँ मे कएल गेलैन्ह,हुनक अंतिम संस्कार मे बहुत संख्या मे ग्रामीण आ  पास परोश के लोक भाग लेलैन्ह । मुखाग्नि जेठ बेटा प्रभाकर झा देलखिन्ह ।


श्री झा के निधन निधन सँ इलाका मे शोक के लहर दौरि गेल आ इलाका के लोक एकरा अपूर्णीय क्षति बतेलैन्ह ।


मृतक के पौत्र दरभंगा मे पदस्थापित बिहार पुलिस के सब इंस्पेक्टर पंकज झा जनौलन्हि जे हुनक दादा जी अपना जमाना मे जानल मानल फुटबॉल खिलाड़ी छलखिन्ह आ पूरा छेत्र मे नीक गोलकीपर के रूप मे जानल जाइत छलखिन्ह । ओ हिनक निधन सँ गावँ सँ फुटबॉल के एक युग के समाप्ति भ' जेनाइ बतेलैन्ह,श्री झाक निधन पर शोक व्यक्त करइ बला मे शांति कुमार ठाकुर,भोगेन्द्र नारायण झा,सूर्यनारायण झा,दिवाकर झा आदि के नाम प्रमुख अछि।


मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035