0
रोहतास। 16 अगस्त।  जिला केँ राजपुर क्षेत्र म' सियांवक मध्य विघालय केँ छात्र-छात्रा सभ विगत दस दिन सँ परेशानी मेँ अछि। हुनका सभ केँ रोज पैन सँ होयत  स्कूल जाय पड़ैत छैन्ह। स्कूल पहुंचाई तक सभ बच्चा पूरा तरहे भिज जैत छैथ।

कतेक अभिभावक तेँ बच्चा क' पैन मेँ डुबबाक डरे स्कूल भेजनाए बंद क' देलखिन। ग्रामीण सभक कहब छैन्ह कि आहर केँ टूटल तटबंध केर बांध आर सड़क केँ मरम्मत करबाक लेल कैको बेर सरपंच आर जन प्रतिनिधि सभ केँ कहल गेल, मुदा कुनु सुनबाई नै भेल।

स्कूल केँ प्रिंसिपल संतोष राय केर कहब छैन्ह कि छात्र सभ केँ होय बला  परेशानी सँ विभागीय अधिकारि सभ केँ अवगत करा देल गेल अछि।महिला सरपंच सरस्वती देवी ग्रामीण सभ केँ  आश्वासन देलीह कि पैन  कम भेला पर सड़क केँ मरम्मत कराओल जायत। छात्र सभ डीएम सँ कहलनि कि डीएम चाचा मदद कर, स्कूल जेबा मेँ होयत अछि दिक्कत।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035