जल्दे सुरु होयत सहरसा - पटना रात्रिकालिन ट्रेन - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 14 जून 2016

जल्दे सुरु होयत सहरसा - पटना रात्रिकालिन ट्रेन

सहरसा। 14 जून। कोसी क्षेत्र के रेल यात्रि सभक वर्षो सँ पटना के लेल रात्रिकालीन ट्रेनक मांग केर प्रतीक्षा आब जल्दे खत्म होय बला अछि। सहरसा-पूर्णिया लाइन पर  परिचालन शुरू भेलाक बाद एहि क्षेत्रक लोग सभक बहुप्रतिक्षित मांग सेहो पूरा होय बला अछि।

सहरसा जक्सन सँ बहुत रास नव ट्रेन चलबाक उम्मीद जागल अछि। मधेपुरा केर सांसद राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव के अथक प्रयास सँ कोसी वासि सभ क' एहि मास केर 21 जून सँ सहरसा स' पटना रात्रिकालीन रेल के परिचालन आरंभ भ' सकैत अछि।

जाहिरतौर सँ सांसद राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव के द्वारा इ प्रयास कोसिवासि सभक लेल एक सौगात थीक किएक जे कैको दशक सँ सरकार स' ट्रेन केर संख्या बढ़ेबाक मांग निरंतर कायल जायत छल।