गलत चीज क' गलत कहब बिहारक माटी में अछि - जेएनयू छात्र नेता कन्हैया - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 29 जून 2016

गलत चीज क' गलत कहब बिहारक माटी में अछि - जेएनयू छात्र नेता कन्हैया

पटना। 29 जून। जेएनयू छात्र संघ केर अध्यक्ष कन्हैया कुमार आर्ट्स कॉलेज के छात्र-छात्रा सभक समर्थन लेल आय  पटना पहुंचला। कन्हैया सबसे पहिने बेउर जेल म' बंद एआईएसएफ के छात्र सभ सं भेंट केलाह। कन्हैया के पटना पहुंचैते  एआईएसएफ कार्यकर्ता आर आर्ट्स कॉलेज के छात्र सभ खूब स्वागत केलन्हि। सब सं भेंट - मुलाक़ात के बाद  कन्हैया बजलाह कि जाधरि मांग पूरा नै हम छात्र सभक आंदोलन म' सदिखन साथ देब। हम्मर राजनीति बिहार सं शुरू भेल अछि एहिलेल आसपास जे गलत चीज होइत अछि ओहि केर खिलाप आवाज उठबैत छी आर अगुवों उठायब।