6
मधुबनीमे मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक परिषद गठन कएल गेल अछि । बी एम कलेज रहिकाक प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दासक अध्यक्षतामे स्थानीय बाबु साहेब डयोढी स्थित प्राचार्य डा कुलधारी सिंहक आवासपर भेल बैसारमे परिषद गठन कएल गेल । एहि परिषदक संरक्षक प्राचार्य डा कुलधारी सिंहके बनाओल गेल अछि । परिषदक अध्यक्ष प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दास, उपाध्यक्ष डा नरेश मोहन झा, सचिव भोगेन्द्र मिश्र, संयुक्त सचिव अनिल कुमार ठाकुर आ कोषाध्यक्षमा दिलीप कुमार झा चयन भेल छैथ । एहिके अतिरिक्त कार्यकारिणी सदस्यमें जीवछ ठाकुर,प्रो भोगेन्द्र झा, हेमचन्द्र झा, श्यामानन्द मिश्र, ललन कुमार झा, डा हमेश चन्द्र चौधरी, प्रो देवनारायण झा आ डा दमन कुमार छैथ। कार्यक्रममे भाकपा नेता भोगेन्द्र झा तथा शिक्षाविद जयकान्त मिश्रक निधनपर शोक व्यक्त कएल गेल ।

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

  1. nik prastuti, muda 3-4 samachhar ke ek ber saptahik aadhar par ditahu te sabh ke suvidha hoitanhi

    उत्तर देंहटाएं
  2. मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक परिषदक गठन निक काज मुदा मात्र कर्ण कायस्थक आ ब्राह्मणक संगठन बुझि परै ये मैथिलक नहि।

    उत्तर देंहटाएं
  3. sangathanak kaarya me ee shamil hebag chahi je maithilik prati sabha varg jatik anurag hoy

    उत्तर देंहटाएं
  4. अजय जी सत्‍य कहलनि । एखनहु किछु लोक एहि भ्रम सँ ग्रस्‍त छथि जे मैथिल माने मैथिल ब्राह्मण वा कर्ण कायस्‍थ । प्रासंगिक अछि जे बहुतो एहन मैथिल ब्राह्मण आओर कर्ण कायस्‍थ छथि जे मिथिला संस्‍कृति आ खास क क मैथिल भाषा स परहेज रखनाइ अपन शान बुझैत छथि । हमरा मतानुसार ओ सब कियो मैथिल थिकाह, जे मिथिला क्षेत्र में निवास करै छथि, मि‍थिला संस्‍कार के अपनेने छथि आ जे मैथिली बजै छथि, चाहे ओ कोनो जाति वा वर्गक कियाक नहि होथि। आ जिनका मैथिली बजै में लाज होई छनि... ओ मात्र ब्राह्मण थिकाह, मैथिल नहि ।

    उत्तर देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035